EPISODE · Oct 28, 2023 · 3 MIN
मैथिली क्रिसमस गीत - सागर महरा संगीत.mp4
from ====== "जीवनका शब्दहरू", " राम्रो समाचार", "सुसमाचार गीत" - नेपालीमा बोलिने प्रमुख भाषाहरू / "Words of Life", "Good News", "Gospel Song" - Major Languages Spoken in Nepali ====== · host Nepal Good News 1
Maithili Christmas Song - Sagar Mahara Music.mp4 // 1 कोरिन्थी 15 - यीशु मसीहक सुसमाचार1यौ भाइ लोकनि, आब हम अहाँ सभ केँ ओहि सुसमाचारक स्मरण करबैत छी जकर प्रचार हम अहाँ सभक बीच कयने छलहुँ, जकरा अहाँ सभ मानि लेलहुँ आ जाहि पर अहाँ सभक विश्वास आधारित अछि। 2जँ अहाँ सभ ओहि वचन पर अटल रहैत छी जे हम अहाँ सभ केँ सुनौने छी, तँ एहि सुसमाचार द्वारा अहाँ सभक उद्धार अछि। नहि तँ अहाँ सभक विश्वास कयनाइ व्यर्थ भेल।3कारण, जे बात हमरा भेटल तकरा हम मुख्य सत्यक रूप मे अहाँ सभ लग पहुँचा देलहुँ, अर्थात् ई जे, मसीह धर्मशास्त्रक भविष्यवाणीक अनुसार अपना सभक पापक प्रायश्चित्तक लेल मरलाह, 4गाड़ल गेलाह, धर्मशास्त्रक भविष्यवाणीक अनुसार तेसर दिन जिआओल गेलाह 5आ पत्रुस केँ देखाइ देलथिन आ तखन बारहो मसीह-दूतक समूह केँ सेहो। 6तकरबाद ओ एके समय मे पाँच सय सँ बेसी भाइ सभ केँ देखाइ देलथिन। ओहि मे सँ अधिकांश आइओ जीवित अछि, ओना तँ किछु लोक मरिओ गेल अछि। 7बाद मे ओ याकूब केँ आ फेर सभ मसीह-दूत लोकनि केँ देखाइ देलथिन, 8आ अन्त मे हमरो देखाइ देलनि, मानू जे हम असमयक जन्मल लोक छी।9हम ई एहि लेल कहलहुँ जे हम मसीह-दूत सभ मे सभ सँ छोट छी आ मसीह-दूत कहयबा जोगरक सेहो नहि छी, कारण हम परमेश्वरक मण्डली पर अत्याचार कयने छी। 10मुदा हम जे किछु छी से परमेश्वरक कृपा सँ छी आ हमरा पर जे हुनका द्वारा कृपा कयल गेल से व्यर्थ नहि भेल। हम आन सभ मसीह-दूत सँ बढ़ि कऽ परिश्रम कयलहुँ—ओना तँ हम नहि कयलहुँ, बल्कि ई परमेश्वरक ओहि कृपा द्वारा भेल जे हमरा पर रहल। 11चाहे हम होइ वा ओ सभ होथि, हम सभ केओ एही सुसमाचारक प्रचार करैत छी आ एही पर अहाँ सभ विश्वास कयने छी।
Embed this episode
Ready to play
मैथिली क्रिसमस गीत - सागर महरा संगीत.mp4
No transcript for this episode yet
Similar Episodes
No similar episodes found.
Similar Podcasts
No similar podcasts found.